Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

IND vs AUS: पर्थमे २९५रनसँ ऑस्ट्रेलियाकेँ भारत हरौलक





पर्थ ।
विराट कोहली आ यशस्वी जायसवालक शतक आ कप्तान जसप्रीत बुमराहक गजबक बलिगंक कारण टीम इंडिया पर्थमे खेलल गेल पहिल टेस्ट मैचमे अस्ट्रेलिया केँ २९५ रनक भारी अन्तरसँ हरा देलक अछि । एकर संगहि भारतीय टीम पाँच मैचक टेस्ट सीरीजमे १–० क बढ़त बना लेलक अछि । एशियासँ बाहर रनक दृष्टिसँ टेस्टमे टीम इंडियाक ई दोसर सभसँ बड़का जीत अछि ।
ई टेस्ट मैचमे टीम इंडिया अपन पहिल पारीमे मात्र १५० रनपर आउट भऽ गेल छल । ओहि समय लगैत छल आयोजक अस्ट्रेलिया आसानीसँ ई मैच जीत लेत, मुदा बुमराह अपन करिश्माई बलिगंसँ बाजी पलटि देलन्हि । पहिल पारीमे बूम बूम बुमराह ५ विकेट लेलन्हि आ अस्ट्रेलियाकेँ मात्र १०४ रनपर आउट कऽ देलन्हि । एहि तरहे भारतीय टीम पहिल पारीमे ४६रनक महत्वपूर्ण बढ़त हासिल कऽ लेलक ।
एकरबाद दोसर पारीमे टीम इंडिया कमाल कऽ देलक । पहिने यशस्वी जायसवाल आ केएल राहुल २०१ रनक ओपनिंग साझेदारी कऽ अस्ट्रेलियाकेँ मनोबल तोड़लन्हि आ फेर विराट कोहली शतक लगाकऽ भारतकेँ जीत सुनिश्चित कऽ देलन्हि । जायसवाल १६१ आ विराट अबिजीत १०० रनक पारी खेललन्हि । ओतहि केएल राहुल ७७ रन बनौलन्हि । एहि तरहे भारत दोसर पारीमे ६ विकेट पर ४८७ रन बना देलक आ अस्ट्रेलियाकेँ ५३४ रनक विशाल लक्ष्य देलक ।
एकर जवाबमे कंगारू २३८ रनपर आउट भऽ गेल आ भारत २९५ रनसँ मैच जीत लेलक । दोसर पारीमे अस्ट्रेलियाक लेल ट्रेविस हेड सभससँ बेसी ८९ रन बनौलन्हि । एकर अतिरिक्त मिशेल मार्श ४७ आ विकेटकीपर एलेक्स कैरी ३६ रनक पारी खेललन्हि । ओना ई सभ मात्र हारक अन्तरकेँ कम कऽ सकलथि । मैचमे ८ विकेट लेबएवला जसप्रीत बुमराहकेँ प्लेयर अफ द मैचसँ सम्मानित कएल गेल ।