Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

मैथिली कवि गोष्ठी सम्पन्न, अगिला शनिदिन कथा गोष्ठी सेहो हएत





जनकपुरधाम
मैथिली विकास कोषक आयोजनामे जनकपुरधाममे एक दिवसीय कवि गोष्ठी सम्पन्न भेल अछि । ओ गोष्ठीमे तीन पीढीक कविसभ सहभागि रहथि ।
कवि गोष्ठीमे डा. रेवतीरमण लाल, ई. विनोदचन्द्र झा, रोशन जनकपुरी, पुनम झा ‘मैथिली’, सुजीत कुमार झा, प्रेम विदेह ‘ललन’, चन्द्रशेषर राय ‘चमन’, उगना शंकर, विजय दत्त ‘मणि’, अमरकान्त अमर, राकेश कुमार झा ‘रसिक’, सपना कर्ण, लालजी ठाकुर, राजेनद्र ललन, राजेश महतो, शिवानी मिश्र,सम्मी झा सहितक कविसभ कविता बाचन कएलन्हि ।
बाचन कएल गेल कवितापर समीक्षक रोशन जनकपुरी आ मैथिली विभागक पूर्व प्रमुख परमेश्वर कापडि़ समीक्षा कएलन्हि । समीक्षक जनकपुरीक कथन छल समाजकेँ परिवर्तनक लेल कविसभके रचनाक माध्यमसँ काज करबाक चाही ।
वरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवतीरमण लालक अध्यक्षतामे भेल ओ समारोहक संयोजक पुनम झा ‘मैथिली’ छलीह ।
कोष महिनाक अन्तिम शनिदिन कवि गोष्ठी आ पहिल शनिदिन कथा गोष्ठी करैत अछि । अगहन महिनाक १ गते भोर साढे ७ बजेसँ विद्यार्थी केन्द्रित कथा गोष्ठी हएत जानकारी कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी देलन्हि अछि ।