

पूरा मिथिलाञ्चलके अपन आवाजसँ मन्त्रमुग्ध करएबाली मैथिलीक सुप्रसिद्ध गायिका शारदा सिन्हाके निधन भेल छन्हि । ७२ वर्षक उमेरमे सिन्हाके दिल्लीस्थित एम्स अस्पातालमे इलाजक क्रममे मंगलके राति अन्तिम श्वास लेलन्हि । भारत सरकारद्वारा पद्मभूषण आ पद्मश्रीसँ सम्मानित गायिका सिन्हा पछिल्ला किछु दिनसँ अस्वस्थ भेलाक कारण एम्स अस्पतालमे भर्ती छलीह ।
डेढ़ महीना पूर्व हुनक पति बृजकिशोर सिन्हाक निधनके बादसँ ओ अस्वस्थ रहैत आएल छलीह । संयोग कही जाहि पावनिके गीत हुनका विश्व प्रसिद्ध बनौलक वएह पावनि छठिक पहिल दिन ओ अपन जीवनक अन्तिम श्वास लेलन्हि । गायिका सिन्हाके पार्थिव शरीर आइ बिहारक राजधानी पटना आनल गेल अछि । हुनक अन्तिम संस्कार छठिके सँझुका अर्घ दिन अर्थात बृहस्पति दिन हएत ।
शारदा सिन्हाक गायकी कैरियरके शुरुआत १९७०के दशकमे भेल छल । सिन्हा भोजपुरी, मैथिली आ हिन्दीक बहुतो लोकगीतसभ गौलन्हि अछि । हुनक गायकीमे बिहारसँ पलायन भेल तथा महिलासभक संघर्षके बेसी स्थान मिलैत छल ।
फिल्म ‘हम आपके हैं कौन’ में बाबुल गीतमे शारदा सिन्हा अपन स्वर देने छलीह । इ गीत आइयो बेटीक विवाह आ विदाईके समयमे बजबे करैत अछि । शारदा सिन्हाक गाओल गीत कयौ धार्मिक अनुष्ठानमे नियमजकाँ शामिल भऽ चुकल अछि । चाहे ओ जन्मक उत्सव हुए वा मृत्युक शोक । चाहे पावनि तिहारक मौसम किए नहि हुए हिनकर सभठाम फिट रहैत अछि ।
शारदा सिन्हाक परिवारमे गायकीक कोनो पृष्ठभूमि नहि छल । मुदा हुनका भितरके गायकीक क्षमता पहिलबेर हुनक पिता पहिचान कएलन्हि । सिन्हा छठम कक्षामे पढैत समयमे पण्डित रघु झासँ संगीत सीखएके शुरु कएने छलीह । रघु झा ’पंच–गछिया’ घरानाके जानल मानल संगीतकार छलथि । ओना गायकीके प्राविधिक ज्ञान दोसर गुरु रामचंद्र झासँ लेलन्हि ।
शारदाक जन्म १९५२मे बिहारक समस्तीपुरमे भेल छल । पिता सुखदेव ठाकुर ६६ वर्ष पूर्व हुनका नृत्य आ संगीतक शिक्षा दियाबएके शुरु कएने रहथि ।
शारदा सिन्हा सुगम संगीतक प्रत्येक विधामे गौलन्हि । जाहिमे गीत, भजन, गजÞल, सब शामिल अछि । मुदा ओ लोकगीत गौनाई कहिओ नहि छोडलीह ।
विवाहक बाद हुनक सासुरमे हिनकर गायकीके लऽ कऽ विरोधक स्वर उठए लागल । मुदा पतिक संग पौलाक बाद ओ लोकगीत आ ठेठ गीतसभके बेसी प्रश्रय देलीह । शारदा सिन्हाके अलग प्रकारक आवाज हुनका अन्य गायकसभसँ अलग पहिचान देलक । जाहिके अखनधरिध कोनो लोक गायिका पछाडि नहि सकल छथि ।
शारदा सिन्हा बॉलीवुडक लेल सेहो कयौँ गीत गौलन्हि अछि । मुदा ओ अपन धूरी कहिओ नहि छोडलन्हि । लगातार लोकगायन में सक्रिय रहलथि । सलमान खÞान, भाग्यश्री अभिनीत ’मैंने प्यार किया’, ’हम आपके हैं कौन’ के विदाई गीत, गौने छथि । मुदा हुनक असली पहिचान छठिके गीतसँ प्राप्त भेल अछि ।
