

जनकपुरधाम ।
मैथिली आ भोजपुरी भाषाक प्रसिद्ध गायिका शारदा सिन्हाक निधन भेल छन्हि । किछु दिनसँ स्वास्थ्य अवस्थामे खराबी एलाक कारण दिल्लीस्थित एम्स अस्पतालमे हुनक इलाज चलि रहल छल । इलाजक क्रममे सिन्हाके मंगलके राति ७२ वर्षक उमेरमे निधन भेल हुनक बेटा अंशुमान पुष्टी कएलन्हि अछि ।
एक महिना पूर्व शारदाक पतिक निधन भेल छल । पतिक निधनक बाद ओ बहुत दुखित रहैत छलीह ।
वि. सं. २००९ साल आसिन ६ गते शारदा सिन्हाकेँ बिहारक समस्तीपुरमे जन्म भेल छल । ओ मैथिली भोजपुरी सहित विभिन्न भाषामे गीत गौने छथि । छठिक घाटपर नेपाल भारतक विभिन्न स्थानमे सभसँ बेसी हुनकेँ गाओल गीत बजैत अछि । तहिना उपनयन आ विवाहक गीत हुनके सभसँ बेसी लोकप्रिय अछि । शारदाकेँ पद्मश्री, पद्म विभूषण आ पद्म भूषणसँ सम्मानित कएल गेल छल ।
