Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

कलाणेश्वर स्थानक सिद्ध साधु सुधाकर बाबाक निधन





जनकपुरधाम
कलाणेश्वर स्थानक सिद्ध साधु सुधाकर बाबाक बितल राति निधन भेल अछि । ओ ७० वर्षकेँ छलथि । बृहस्पति राति नेपाली समय अनुसार ११ बाजिकऽ १५ मिनेटमे

हुनक निधन भेल जानकारी बिहारक बासोपट्टीसँ पत्रकार रोशन कुमार देलन्हि अछि ।
निधनक बाद हुनक पार्थिव शरीरकेँ आमलोकक दर्शनक लेल कलाणेश्वर स्थानमे राखल गेल अछि ।
सुधाकर बाबा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका २५ क बभनगामाक छलथि । ओ चारि दशक पूर्व परमहंश बाबाक शिष्य भऽ गेल रहथि । ओ कलणे स्थानपर रहैत छलथि । शरीरभरि ओ औंठी पहिरने रहैत छलथि । औंठी पहिरलाक कारणेँ हुनका स्थानीयसभ औंठी बाबा कहि कऽ श्रद्धवश सेहो कहल करैत छलन्हि ।


सुधाकर बाबाकेँ अन्तिम संस्कार कलणेमे हएत । एक हप्ता पूर्व हृदयघात भेलाक कारणेँ हुनक उपचार बासोपट्टीमे भऽ रहल छल । हुनक उपचार डा. रमणकुमार कऽ रहल छलथि । अन्तिम संस्कारमे हुनक गामक अतिरिक्त जनकपुरधाम क्षेत्रसँ सेहो बहुतो लोककेँ पहुँचएको अनुमान कएल गेल अछि ।