Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

रिंग सेरोमनीसभमे लोक हिरा किनए लागल अछिः बलराम साह, सञ्चालक बलराम ज्वेलर्स जनकपुरधाम





धनतेरसमे धातु किनबाक परम्परा रहल अछि । धातु माने सोन चानी, पितर, स्टिल सहितक होइत अछि । खास कऽ सोन चानीक अलगे आकर्षण होइत अछि । जनकपुरधाममे सोन चानीक दोकानसभमे कोना तैयारी भऽ रहल अछि । एहिपर सोनचानी व्यवसायी बलराम साहसंग बातचित –
प्र.धनतेरसक तैयारी कोना चलि रहल अछि ?
धनतेरस हमरासभक लेल बड़का उत्सव होइत अछि । दू तिन दिनमे सभसँ बेसी कारोवार होइत अछि । स्वभाविक छैक एहन अवस्थामे ओहिरुपसँ तैयारी करए पड़लैक । हमर कारखानामे मात्र नहि एक हप्तासँ बेसी समयसँ सभ सोनचानी व्यवसायी अहीमे लागल अछि ।
प्र. धनतेरसमे लोक सोनचानीक कि सभ किनैत अछि ?
गणेशलक्ष्मी, सिक्का बेसी रहैत अछि ओना हरेक प्रकारक गहनाक अर्डर हमरासभ लग आएल अछि ।
प्र. अर्डरो चलि आएल अछि ?
हँ । धनतेरस दिन मनमोताबिक वा पसिनक गहना नहिओ भेट सकैत अछि । तँए पहिने कैटलकमेसँ पसिन कऽ बहुतो लोक अर्डर देने छथि । ओसभ तँ पैसो जम्मा कऽ देने छथि । खाली दोकानपर आबि गहना लऽ घर जएता ।
प्र. अपनेसभ लग ग्राहकक प्रेसर लगनमे बेसी रहैत अछि वा धनतेरसमे ?
दुनूमे । ओना लगन तँ भरिसाल होइत अछि तखन धनतेरस दू तीन दिनक भेलाक कारणेँ अहीमे कनी बेसीए दबाब रहैत अछि । किनएवलाक संख्या सेहो अहीमे बेसी रहैत अछि ।
प्र. अहाँ तँ हिराक सेहो कारोबार करैत छी ओकर कारोबार धनतेरसमे केहन रहैत अछि ?
कमे । बेसी लोक सोन चानी किनैत अछि । हँ तखन रिंग सेरोमनीसभमे लोक हिरा किनए लागल अछि । वर्षक हिसाबसँ देखल जाए तँ हिरोकेँ कारोबार ठिके छैक ।
प्र आइएसओ मान्यता प्राप्तक प्रचारप्रसार खूब होइत रहैत अछि ओ कि भलैक ?
हिराक शुद्धता, गुणस्तर आ सुरक्षा सुनिश्चित करबाक लेल ई मान्यता देल गेल अछि । ओना एहन मान्यता मात्र हिराक लेल मात्र अछि ।
प्र. सोनाचानीक कारोबारमे पहिने सोनार जातिक लोक मात्र लोक रहैत छल मुदा अपने तँ हलुवाइ छियैक कोना एहिमे लागि गेलियैक ?
पहिने जाति अनुसार पेशा निधारण रहैत छल । आब जकरा जाहिमे मन लगलैक ओहि हिसाबसँ हमरो बुझाएल होटेलसँ बढि़या सानेकेँ कारोबार अछि आ हम एहिमे लागि गेलियैक ।
प्र. सोनचानीक मोलमे बहुत उतारचढाव रहैत अछि ई व्यवसाय तँ खतरामे अछि ?
व्यवसाय कोनो खतरासँ मुक्त नहि रहैत अछि हँ तखन किछु दिन काज कएलाक बाद स्वयं रिस्क लेबाक क्षमताक विकास भऽ जाइत अछि ।
प्र. अगामी सोच कि छैक ?
इएह व्यवसायमे आगाँ बढ़एकेँ । एहिमे हमरा बहुत मन लगैत अछि ।
वलराम ज्वेलर्सक सञ्चालक रहल वलराम साहसंग लम्बा बातचित मोडेल खबरक युट्यूब चैनलमे सेहो देखि सकैत छी…