Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

सुहृद पुस्तकालयक स्थापना तथा शहीद सरोज कोइरालाक स्मृति दिवस मनाओल गेल





जनकपुरधाम ।
सुहृद पुस्तकालय जनकपुर स्थापना दिवस एवंम् शहीद सरोजप्रसाद कोईरालाक ५०म स्मृति दिवस विभिन्न कार्यक्रम कऽ मनौलक अछि ।
जनकपुरधाम–९ ब्रम्हपुरीमे २०११ सालमे स्थापना भेल सुहृद पुस्तकालय स्थापना दिवस एवं शहीद कोईरालाक ५०म स्मृति दिवस दीप प्रज्वलन, श्रद्धाञ्जली सभा तथा सम्मान कार्यक्रमसभ कऽ मनौने अछि ।
कार्यक्रममे पूर्व उपप्रधानमन्त्री एवम् पूर्व गृहमन्त्री तथा नेपाली काँग्रेसक नेता विमलेन्द्र निधि ,मधेश पदेशक पूर्व प्रदेश प्रमुख हरिशंकर मिश्र, संघिय सांसद एवंम् नेपाली काँग्रेसक सहमहामन्त्री महेन्द्र यादव, संघिय सांसद एवंम् नेपाली काँग्रेसक नेतासब रामकृष्ण यादव,मुक्ता देवी यादव, मधेश प्रदेशक प्रदेशसभा सदस्य रामसरोज यादव, मधेश प्रदेशक नीति आयोगक पूर्व उपाध्यक्ष डा.भोगेन्द्र झा, जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाक प्रमुख मनोज कुमार साह,उप प्रमुख किशोरी साह,तराई मधेश लोकतान्त्रीक पार्टी तमलोपाक अध्यक्ष वृषेशचन्द्र लाल, तमलोपाक बरिष्ठ उपाध्यक्ष एवम् सुहृद पुस्तकालयक संरक्षक समिति सदस्य डा. विजय कुमार सिंह लगायतक व्यक्तिसभ बाजल छलथि । ओ सभा सुहृद पुस्तकालयक संगे शहीद कोइराला नेपालक प्रजातान्त्रिक आन्दोलनमे पहुँचौने योगदानक विषयमे चर्चा कएने छलथि ।


पुस्तकालय स्थापना दिवसके अवसरमे एकल सफाई अभियानी मीरा देवी झाके सम्मान सेहो कएने अछि । सम्मानित भेल झा रंगभूमि मैदान बाह्र विग्घासँ पूर्व–उत्तरके सडक असगरे नित दिन सफाई करैत आबि रहल छथि । हुनका जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक नगरप्रमुख मनोज कुमार साह दोसल्ला ओढा कऽ कपडा आ नगद ११ सय रुपैया सहित सम्मान कएलन्हि ।