मोडेल खबर अनलाइन(www.modelkhabar.com)क सफलताक बाद पोडकास्ट सेहो शुरु भेल अछि । पोडकास्ट शुभारम्भ अवसरपर मोडल खबरक अध्यक्ष वीरेन्द्र साहसंग बातचित कएल गेल । मोडेल सम्वादमे सम्पादक सुजीत कुमार झाद्वारा कएल गेल ओ बातचितक सम्पादित अंश –
प्र. मिडिया क्षेत्रमे आबि केहन लागि रहल अछि ?
सञ्चारसँ एखनकेँ समयमे हम कि किओ दूर नहि रहि सकैत अछि । तखन एकटा लगानीकर्ताक रुपमे अलग अनुभूतिक अनुभव कऽ रहल छी । एखन प्रारम्भिक चरण छैक किछु सिखएकेँ किछु कऽ सकी एकर अनुभव लऽ रहल छी ।
प्र. कहिआ मनमे आएल मिडियामे लगानी करितहुँ ?
ई हमर १० सालसँ बेसी समयसँ सपना छल जे एहि क्षेत्रमे किछु काज करी मुदा समय अनुकुल नहि भऽ रहल छल वा ई कही समय उपयुक्त नहि छल । भवन प्रसंग बढ़लैक कलेजक भौतिक आ प्राज्ञिक रुपसँ विकास केलहुँ । आब किछु एहिमे काम करबाक मनमे लागल बात आगाँ रखलहुँ संयोग मिल गेलैक । टीम बनि गेल आ हमसभ एहिमे लागि गेलहुँ ।
प्र. शुरुमे अनलाइन खोलल जाए आ समान्य रुपसँ पोडकास्ट शुरु करी तेहन बातसभ आएल छल मुदा अपने तँ एकरा बृहत रुप दऽ देलियैक ?
केहनो खोलि दी मन नहि मानलक । मनमे कोनो प्रकारसँ शंका लागि गेल एकरबाद प्रायः हम आगाँ नहि बढ़ैत छी । जखन कतहुँ भोज खाए जाइत छी जे तरकारी नीक नहि लागल पहिने उएह खा लैत छी । नीक लागएवला चीज रुचि लऽ कऽ खाइत रहैत छी । मोडेलक सामाथ्र्य अनुसार स्टुडियो बनलैक अछि । प्राविधिक रुपसँ सेहो हमसभ सशक्त भऽ गेल छी । आब विषयवस्तुपर काज करबाक अछि ।
प्र. विषयवस्तुपर काज करएकेँ मतलव ?
मात्र सुन्दर स्टुडियो भेलासँ नहि हेतैक । मात्र बढि़या प्रविधि रखलासँ नहि हेतैक । समाचार निश्पक्ष होएबाक चाही । तखन सही बात छैक ओ निर्भिकताक संग उठतैक । हमरासभ लग सम्पादनमे दक्ष टीम अछि ओ ई काज करबाक लेल सक्षम अछि । सकारात्मक माहौल बनावएकेँ आवश्यकता अछि । ताहिमे सेहो हमसभ लागल छी ।
प्र. समाचारक नियन्त्रण सेहो अध्यक्ष करतैक वा समाचार कक्ष ?
समाचारक निर्णय समाचार कक्ष करत । सम्पादक छैक । ओहिमे बहुत गोटे जुड़ल छथि ओ सभ निर्णय लेता । हम तँ हुनकासभकेँ सुविधा उपलब्ध करावएवला लोक छी ।
प्र. कलेजक अतिरिक्त प्रचारक लेल मिडिया खोलल गेल अछि तेहनो बात आबि रहल अछि ?
मिडिया कि कऽ रहल अछि किछु दिनक बाद समीक्षा अवस्य हेतैक । एकटा लगानी करताक हैसियतसँ हम एतवए कहि सकैत छी मोडेल खबर प्रति जतवए हक मोडेल कलेजकेँ छैक ओतवए दोसरोके । मोडेल प्राथमिकतामे नहि रहतैक ई हम विश्वास दिआवए चाहैत छी । शिक्षाकेँ प्राथमिकतामे राखि समाचार ओतैक । पूर्व विद्यार्थी, विद्यार्थी आ समाजकेँ जे विश्वास आर्जन भेल अछि ओ कायम राखएमे कोनो कन्जुस्याइ नहि हेतैक । मोडेल खबर स्वतन्त्र छैक ओकरा बान्हएकेँ प्रयास कोनो हालतमे नहि हेतैक ।
प्र. मोडेलक नामसँ एतेक स्नेह किए अछि ?
कोनो नामसँ स्नेह होएब गलत थोरही होइत छैक । हँ ई हम सभदिन स्वीकार करैत एलहुँ अछि मोडेलसँ हमरा स्नेह अछि । इएह नाम हमरा एहि शहरमे पहिचान देने अछि । अहाँ जतए इंगित कएलहुँ अछि मिडियाकेँ नाम राखएकेँ पाछाँ सेहो इएह मनोविज्ञान छैक । कोनो चीजमे नाम बहुत महत्व रखैत अछि । तँए एहिपर बहुत सोचविचार करबाक चाही । एकहिबेरमे ध्यान आकृष्ट भऽ जाइक । मोडेलक नाम एहन छैक जाहिपर पढ़ल लिखल मात्र नहि अनपढ़केँ सेहो ध्यानमे चलि अबैत अछि । हम मिडिया क्षेत्रमे सेहो सफल होबए चाहैत छी ।
प्र. जनकपुरधामक सञ्चारमाध्यममे प्रायः राजनीतिमे लागल व्यक्ति लगानी कएने अछि वा राजनीतिक आकांक्षी अपने एहिमे कतए छियैक ?
ई बात हम बराबर कहैत रहैत छी चोर चोरी छोडि़ देलक एकरबादो हेराफेरी नहि छोड़ैत अछि । हम ई नहि कहब राजनीतिसँ दूर छी तखन भविष्यमे कि हेतैक सेहो नहि कहल जा सकैत अछि । हँ तखन ईहो सत्य अछि सक्रिय राजनीतिमे नहि एखन छी आ नहि तत्काल एहिमे लागएकेँ कोनो महत्वकांक्षा अछि । मिडिया खोलएकेँ पाछाँ एकहिटा कारण अछि एतएकेँ समस्यासभ उठैक । समस्यासभ बहस बनैक । एहिठामक कृषि, उद्योगधन्धा, शिक्षा, स्वास्थ्यक समस्यासभ देखार होइक ।
प्र. शुरुक समयमे तँ अपने राजनीतिमे लागल छलियैक ?
हँ । बहुत आगाँ सेहो बढि़ गेल रही । मुदा ओहिमे कठिनाइ बेसी छल । बीना हेराफेरीकेँ घरपरिवार चलाएब कठिन छल । तँए शिक्षा क्षेत्रमे लगलहुँ । राजनीति सेवाक रुपमे आवए पड़लैक । राजनीतिमे नहिओ जा कऽ पदमे नहिओ जा कऽ सम्मान पाबि सकैत छी ई बात हम बढि़या जकाँ बुझैत छी ।
प्र. अन्त्यमे मोडेल खबरकेँ भविष्य एकटा लगानीकर्ताक रुपमे केहन देखैत छियैक ?
हमसभ पहिने विश्वास आर्जन करब । मूल समस्या उठाएब । समाजमे कोना परिवर्तन हेतैक ताहिमे लागब । पुनः कही जे सकारात्मक माहौल बनाएब । एतेक भेलाक बाद एकर भविष्य हमरा कहएकेँ आवश्यकते नहि पड़त ।