Breaking 
नो केवलकार समुहले आन्दोलनको घोषणा गरे, अब म मुकुमलुङ जान्छु - पूर्वउप प्रधानमन्त्री राजेन्द्र महतो | जापानले हेल्थ केयरमा २० हजार नेपाली लैजाने | काठमाडौंमा फेरि शक्ति प्रदर्शन गर्ने तयारीमा शिक्षकहरू | माओवादी केन्द्रले बोलायो जनप्रतिनिधिको राष्ट्रिय भेला | काठमाडौं विश्वविद्यालयको उपकुलपति छनोट समितिले अन्तिम १० जना प्रतिस्पर्धीको सूची सार्वजनिक गरे | प्रधानमन्त्री ओलीलाई पदमुक्त गर्न माग गर्दै सर्वोच्चमा निवेदन दर्ता | वन मन्त्रालयको नाम फेर्न प्रस्ताव | खानेपानी मन्त्रालयमा भएको आगलागीको छानबिन गर्न माग | नो केबलकार समूहद्वारा थप आन्दोलनको घोषणा | ममता कुलकर्णीबिरुद्ध आवाज उठाउने हिमाङ्गी सखीमाथि सांघातिक आक्रमण |

पत्रकार सम्मेलनक पहिल अनुभव





कहल जाए त बात छोटेसन लागत मुदा हम्मर मोनक आँखिसँ देखब मोट लागत । वितल किछु वर्षसँ साहित्य विधामे कलम चलबैत आबि रहल छी । अब किछु दिनसँ हरबरीक साहित्यके नामसँ जानल जाएबला पत्रकारितामे सेहो प्रवेश कएलहुँ अछि । अर्थात पत्रकारितामे नए नए जुडलहुँ अछि । पत्रकारितामे जुडलाक लगभग १०÷१५ दिन बाद पहिल बेर मंगल दिन पत्रकार सम्मेलनमे जएबाक अवसर प्राप्त भेल । पत्रकार सम्मेलनक लेल जएबाक छल नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषामे । यी सोचि हमर मोनमे डर आ प्रसन्नताक मिश्रित भाव अंकुरित भऽ रहल छल ।
ओतए जाएसँ किछुए काल पूर्व जनकपुरधामक ऐतिहासिक स्थल तिरहुतिया गाछी रिपोर्टिङ्गके लेल गेल छलहुँ । रिपोर्टिंग कऽ कऽ कार्यकक्षमे पहुँचले छलहुँ कि सुजीत कुमार झा अंकल जे मोडेलखबरके सम्पादक सेहो छथि, हमरासँ कहलथि अहाँके आई एकटा पत्रकार सम्मेलनमे जाए पड़त । नए नए पत्रकरिता प्रवेश कएने छी, उपरसँ आई पत्रकार सम्मेलनमे जाए पड़त यी सोचि डर लागि रहल छल, तथापि जाएके तऽ छले । सहकर्मी जयन्त ठाकुरसंग हम पत्रकार सम्मेलनक लेल विदाह भेलहुँ ।
हमर कार्यालय आ पत्रकार महासंघ धनुषाक भवन कनिके दुरीपर अछि । कार्यालयसँ ओतए जाएमे मुश्किलसँ ५ मिनेट लागल हएत । मुदा ओ ५ मिनेटमे हम जे महशुश कएलहुँ ओहिके शब्दरुपी आकार देबएमे असमर्थता महशुश भऽ रहल अछि । खैर ओ फिलिंग्स कहिओ अहाँसभ समक्ष साझा करबे करब ।
एम्हर महासंघमे बुहतो पत्रकारसभसंग भेटघाट हएत यी त बुझले छल आ भेबो कएल । सभ गोटे महासंघक शास्त्री सभाकक्षमे पत्रकार सम्मेलनक लेल प्रवेश कएलथि । ओहि सभाकक्षके एसी काम नहि कऽ रहल छल जाहि कारण बहुत गरमी लागि रहल छल । एक तऽ रौदाएल पहुँचल छलहुँ उपरसँ ओहि हलक गरमी । ततबएमे किओ गोटे ओ सभाकक्षक केबार खोललथि, केबार खोलिते शितल हावाके प्रवेश संगहि किछु राहत भेटल ।
एम्हर पत्रकार सम्मेलन सेहो शुरु भेल । पत्रकार सम्मेलनक आयोजना महोत्तरीक रामगोपालपुर वार्ड नम्बर १मे रहल विद्यालय श्री उच्च मावि बसपीटट्टी बसन्तपुरके शिक्षक संजीवकुमार झा कएने छलाह । रामगोपालपुर वाड नम्बर २के वाडअध्यक्ष मुकेशकुमार यादवके मृत्यु घटनामे हुनको संलग्नता रहल आरोपके खण्डन करए लेल ओ यी पत्रकार सम्मेलनके आयोजना कएने छलथि हुनक पूरा बात सुनलाक बाद बुझलहुँ ।
पत्रकार सम्मेलनसँ कार्यालयमे घुरिते समाचार लिखएके जिम्मा सेहोे भेटल । एकहि दिनमे अतेक बेसी जिम्मेबारी भेटब हमरा लेल खुशीक बात छल मुदा संग संगे चुनौती सेहो । तथापि समाचार सेहो लिखलहुँ । किछु त्रुटी छल हमर लेखनीमे । ओहिके सम्पादन भेल आ अन्तमे मोडेलखबरके अनलाइन न्यूज पोर्टलमे पहिल बेर हमर लिखल समाचार सेहो प्रकाशित भेल ।
यी पहिल बेरके अनुभव अगिला पत्रकार सम्मेलनके लेल कोन प्रकारसँ तयारी करए पडतै से सिखौलक अछि । यी हमरालेल पहिल पत्रकार सम्मेलनके पहिल अनुभव मात्र नहि भऽ हमरा लेल सीढ़ीक एक खारी पार कएलहुँ से महशुश भऽ रहल अछि ।