Breaking 
विदेह नगरपालिकाका प्रमुख कार्यकारी अधिकृत दिपेन्द्र साहलाई सुरक्षा धम्की, ४ दिनदेखि कार्यालय जानबाट बञ्चित | नयाँ दिल्ली रेलवे स्टेसनमा १८ जनाको ज्यान जानेगरी भएको भागदौडपछिका तस्बिरहरु | पोखरामा भएको बेलुन विस्फोट घटना अनुसन्धान गर्न ८ सदस्यीय छानवीन समिति गठन | फागुन ११ अगाडी अध्यादेशहरु संसदमा पेश नगरिने लगभग निश्चित | सत्ता पक्षका सचेतकहरुको बैठकमा जसपा नेपाल किन अनुपस्थित भयो ? | स्टार बलरहरुबिना च्याम्पियन्स ट्रफी, चोटले परेशान भारतीय र अष्ट्रेलियन टोली | झापामा प्रहरी कार्यालयभित्रै सई मृत फेला | सुनको मूल्य २ हजार ७ सयले घट्यो | निजामती र शिक्षा विधेयक अगाडि बढाउने सत्तारुढ दलको निर्णय | बाराको सुधारकेन्द्र अनुशासनिक कारबाही अस्वीकार गरेपछि भएको कुटपीटमा परेर मण्डलको मृत्यु भएको खुलासा |

मनमे लागल

फोटो सेसनमे अब्बल, काममे जीरो





मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंहक दैनिक कोनो नहि कोनो फोटो सामाजिक सञ्जालमे अबैत रहैत अछि । कहिओ अनुगमनके लऽ कऽ, कहिओ ककरो घरमे गेल फोटो, कहिओ टेम्पुपर चढ़ल । मात्र फोटो मुख्यमन्त्रीजी खिचबैत छथि वा काजो भऽ रहल छैक बहुतोकेँ मनमे उब्जैत हएत, किछु एहने हमरो मनमे लगैत रहैत अछि ।
आइ मन्त्रीसभक कार्यालय रहल जचुकालीक प्राङ्गण अर्थात अधिकांश मन्त्रालय रहल भवनमे गेल छलहुँ आधा कर्मचारी अनुपस्थित रहथि । जे मन्त्रालयमे रहबो करथि अधिकांश सचिव सहित वरिष्ठ कर्मचारीकेँ बगलमे बैसि बातचित कऽ रहल । सभ फुर्सतमे !
समय बित रहल अछि मुदा काज प्रगतिपथपर नहि अछि एहनमे मुख्यमन्त्रीजीक घूमि–घूमि कऽ फोटो खिचाएब कतेक महत्व राखि रहल अछि अगामी दिनमे एहिपर समीक्षा हेबए करतैक ।
जनता समाजवादी पार्टीक दूटा नेताकेँ मुख्यमन्त्रीक रुपमे हमसभ देखने छलहुँ । पहिल रहथि लालबाबु राउत आ दोसर सरोजकुमार यादव । शुरुबला मुख्यमन्त्री अपन सपथ ग्रहणे दिनसँ संघीय सरकारक विरोधमे बजैत रहथि छलथि । विरोधबला बात सुनएमे बहुत नीक लगैत छैक, बहुतकेँ मनमे होइत छैक ई काज करत !
ओहि समय कार्यालय व्यवस्थापन, ऐन नियम बनाएब ई जटिलतासभ छल । एकरबादो ओ सरकारक तीनटा काज लोककेँ ध्यान आकृष्ट कएलक बेटी पढाउ बेटी बचाउ अभियान जाहिमे छात्रासभकेँ साइकिल वितरण कएलगेल । जन्मैते बेटीक विमा आ मुख्यमन्त्री सौन्दर्यीकरण अभियान अन्तिम समयमे तीनू काजमे जाहिरुपसँ भ्रष्टाचारीक बात उठल फेरसँ उपेन्द्र यादवजी हुनका दोबारा मुख्यमन्त्री बनावएकेँ चेष्टा नहि कएलन्हि ।
दोसर मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव अपन कार्यकालमे कि कएलन्हि हुनको नहि बुझल हएत तँ आमलोक एहिपर कि कहि सकैत अछि ! हुनकर सभसँ बड़का उपलब्धिक रुपमे बारासँ संघीय सांसदमे जसपा अध्यक्ष उपेन्द्रजीकेँ जीताएब रहल अछि । ओ ओहि चुनाबक कमान्डर रहथि । सप्तरीसँ उपेन्द्रजी हारलाक कारणेँ ओ बहुत निराश रहथि हुनका जीताएब पार्टीक आ कार्यकर्ताकेँ मनोबल बढ़ावए लेल सेहो आवश्यक छल ।
पैसासँ लऽ बुथ म्यानेजमेन्टधरि ओ सम्हार्ने रहथि । भलेही पार्टी अध्यक्षकेँ ओ जीतौलन्हि मुदा काज जीरो रहलन्हि । जखन कहिओ उपेन्द्रजीकेँ कार्यक्रम होइत छलथि तखन मात्र हुनका पार्टी कार्यकर्तासभ देखैत छलथि ।
जनकपुरधाममे रहलापर जनकपुरधाम ४ कटैयाचौरीक एक घरमे अधिकांश समय बितबैत छलथि ।
काजक दृष्टिसँ जसपाक मुख्यमन्त्रीसँ लोक आजित भऽ गेल छल । दोसर पार्टीक मुख्यमन्त्री आओत तँ किछु परिवर्तन हेतैक लोककेँ आश छल । मुदा सतिशजीक कार्यकाल ओहिना बितत कि ? एहिपर बहस शुरु भऽ गेल अछि ।
एके बेर बहुते राज्यमन्त्री बनौलन्हि फेर बिना कारणेँ सभके हटा देलन्हि । किआ हटौलहुँ एकर कारणधरि नहि देलन्हि । एखन कर्मचारीसभक बदली(सरुवा)मे व्यापक पैसाक खेल भेल कर्मचारीसभ स्वयं आरोप लगौलक अछि एकटा टोली तँ हिनका ज्ञापनपत्रधरि बुझौलक अछि । एकर जवाबधरि ओ नहि दऽ सकि रहल छथि, कर्मचारी बदलीमे कि भेल अछि ? के बदमासी कएलक अछि ?
अनुगमनमे गेल समय अनुपस्थित रहल कर्मचारीसभकेँ कि कारबाही भेल ताहिपर मुख्यमन्त्री कार्यालय दिससँ नहि कोनो चीज बाहर आएल अछि । कर्मचारी बजारमे ओहिना घूमि रहल अछि । सरकारी गाडीकेँ व्यापक दूरुपयोग भेल अछि ।
मुख्यमन्त्रीजी कहिओकाल एहिपर सेहो ध्यान दैथि । समय बीतैत देर नहि लगैत छैक ! जखन मुख्यमन्त्रीपरसँ हटब तखन ई पश्चताप नहि हुए फोटो खिचाबएमे वा स्टंट करएमे समय बर्बाद कऽ देलहुँ । अहाँक काजपर जनमत पार्टीक भविष्य सेहो छैक ई सत्यकेँ समयमे बुझए पड़त । लालबाबु आ सरोजजीक कामकाजसँ ओ पार्टीक कतेक क्षति भेल अछि शीर्ष नेतृत्वसभ मूल्यांकन करितए हेताह ।