Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

कलर्स एफएमक पाँचम वार्षिकोत्सव सम्पन्न





जनकपुरधाम

जनकपुरधामसँ सञ्चालित कलर्स एफएमक पाँच वार्षिकोत्सव एक समारोह बीच सम्पन्न भेल अछि । ओ समारोहमे बजैत वक्तासभ मिडियाक विकासक चर्चा कएलन्हि । मिडियामे देल जाएवला विज्ञापन पचाससँ बेसी प्रतिशत स्थानीयतहक कर्मचारी कमीशन लऽ रहल प्रति चिन्ता व्यक्त करैत ओहन कमीशन नहि देबए लेल मिडियासभकेँ आग्रह कएल गेल ।
कलर्स एफएमक अध्यक्ष रुपेश सिंह कलर्स बड़का मिडियाकेँ आकार लऽ रहल जानकारी करौलन्हि । पहिने एफएम रेडियो मात्र छल मुदा आब अनलाइन पोर्टल, अनलाइन टिभि सेहो खुजि गेल जानकारी दैत ओ कहलन्हि समाजकेँ परिवर्तनक सोचसंग मिडिया काज कऽ रहल उल्लेख कएलन्हि ।
नेपाल पत्रकार महासंघक केन्द्रिय सदस्य रिंकु गायत्री मिश्र कहलन्हि पत्रकारिता बचाएब आवश्यक अछि एहि लेल पत्रकार आ समाज दुनूक योगदान आवश्यक रहल अछि ।
कलर्सक प्रवन्ध निर्देशक रतन जयसवालक अध्यक्षतामे भेल ओ समारोहमे मिडियाक सल्लाहकार राकेश सिंह, कलर्सक कार्यक्रम सञ्चालक एवं वरिष्ठ पत्रकार श्यामसुन्दर शशि, मोडेल खबरक सम्पादक सुजीत कुमार झा, कलर्सक पूर्व निर्देशक रामनरेश पाण्डेय, जानकी टिभिक अधयक्ष वैद्यनाथ साह, कलर्सक समाचार संयोजक धीरेश दत्त सहितक वक्तासभ बाजल छलथि ।
समारोहमे सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत कएल गेल ।