Breaking 
‘दिल्लीले पनि मधेसलाई काठमाडौँकै आँखाले हेर्दै आएकोमा वक्ताहरुको असन्तुष्टी’ | कक्षा १२को नयाँ परीक्षा तालिका सार्वजनिक, अब वैशाख २१गतेदेखि हुने | घुस सहित पक्राउ परेका पोखरा महानगरका कर्मचारी विरुद्ध विशेष अदालतमा मुद्दा दायर | चाबी बोकेर काठमाडौं आउन विद्यालय कर्मचारीलाई निर्देशन | कर्मचारी ट्रेड युनियनको १० बुँदे माग, ७२ घण्टे अल्टिमेटम | गभर्नर सिफारिस समितिका सदस्य विजयनाथ भट्टराईद्वारा राजीनामा | छोराछोरी सहित आमाले गरे विषसेवन, ३ को मृत्यु | गंगासागरमा निर्माण कार्य रोकिएपछि निति आयोगका उपाध्यक्ष सोहन साहले सामाजिक सञ्जालमा लामो स्टेट्स लेखे, जो जसले राम नारायण मिश्रको स्मारकको विरोध गर्नु भएको छ इमानदारीको साथ यही मापदण्ड अनुसार जनकपुरको सबै पोखरीमा नियम लागू गर्नु पर्ने हिम्मत देखाउनु पर्यो | दुई दिनअघि मधेसको मिडिया काउन्सिलको अध्यक्षमा नियुक्त भएका कमलकुमार उपाध्यायविरुद्ध विशेष अदालतमा मुद्दा दायर | रुसी राष्ट्रपति पुटिनले पहिलो पटक युक्रेनलाई दिए शान्ति वार्ताको प्रस्ताव |

कलर्स एफएमक पाँचम वार्षिकोत्सव सम्पन्न





जनकपुरधाम

जनकपुरधामसँ सञ्चालित कलर्स एफएमक पाँच वार्षिकोत्सव एक समारोह बीच सम्पन्न भेल अछि । ओ समारोहमे बजैत वक्तासभ मिडियाक विकासक चर्चा कएलन्हि । मिडियामे देल जाएवला विज्ञापन पचाससँ बेसी प्रतिशत स्थानीयतहक कर्मचारी कमीशन लऽ रहल प्रति चिन्ता व्यक्त करैत ओहन कमीशन नहि देबए लेल मिडियासभकेँ आग्रह कएल गेल ।
कलर्स एफएमक अध्यक्ष रुपेश सिंह कलर्स बड़का मिडियाकेँ आकार लऽ रहल जानकारी करौलन्हि । पहिने एफएम रेडियो मात्र छल मुदा आब अनलाइन पोर्टल, अनलाइन टिभि सेहो खुजि गेल जानकारी दैत ओ कहलन्हि समाजकेँ परिवर्तनक सोचसंग मिडिया काज कऽ रहल उल्लेख कएलन्हि ।
नेपाल पत्रकार महासंघक केन्द्रिय सदस्य रिंकु गायत्री मिश्र कहलन्हि पत्रकारिता बचाएब आवश्यक अछि एहि लेल पत्रकार आ समाज दुनूक योगदान आवश्यक रहल अछि ।
कलर्सक प्रवन्ध निर्देशक रतन जयसवालक अध्यक्षतामे भेल ओ समारोहमे मिडियाक सल्लाहकार राकेश सिंह, कलर्सक कार्यक्रम सञ्चालक एवं वरिष्ठ पत्रकार श्यामसुन्दर शशि, मोडेल खबरक सम्पादक सुजीत कुमार झा, कलर्सक पूर्व निर्देशक रामनरेश पाण्डेय, जानकी टिभिक अधयक्ष वैद्यनाथ साह, कलर्सक समाचार संयोजक धीरेश दत्त सहितक वक्तासभ बाजल छलथि ।
समारोहमे सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत कएल गेल ।