Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

जनकपुरधाम ३ आ ११के स्थानीयक उपराग– नाम मात्रेके अछि स्थानीय सरकार

‘नालाक पानि घरघरमे घुसैत अछि, मुदा तीनु तहक सरकारके नहि अछि चाँखि’





जनकपुरधाम प्राचिन मिथिलाक राजधानी जे वर्तमानमे नेपालक मधेस प्रदेशक राजधानी अछि । कोनो जगहके पाछाँ धाम लगलाक बाद ओहि स्थानक पवित्रताके प्रदर्शन करैत अछि । जनकपुरधाम राजर्षि जनक आ माता सीताक जन्मस्थलीकेँ रुपमे विश्वविख्यात अछि । मुदा कि जनकपुरके पाछाँ धाम लगलासँ मात्रे ई सुन्दर आ स्वच्छ भऽ जाएत वा एहिके लेल एतुका स्थानीय, तीन तहके सरकारकेँ एहि स्थानके स्वच्छ आ सुन्दर राखए पड़त ?
जनकपुरधाम मधेस प्रदेशक राजधानी सेहो अछि अहुँ हिसाबसँ एहि नगरके अवस्था अन्य स्थानसँ बढियाँ हएबाक चाही । मुदा जनकपुरधाम ओहिसँ ठीक विपरित नरकपुरजकाँ लगैत अछि । ई बात हम ओहिना नहि कहि रहल छी, एतुका ऐतिहासिक स्थलसभक संरक्षणक अभाव, सडक नालासभक दुर्गति देखि सभकिओ इएह बात कहत ।
जनकपुरधामक सडक आ नालाक दुर्गतिके कारण वार्ड नम्बर ३ आ ११केँ बीचमे रहनिहार स्थानीय सडकमे गन्दगी आ नाला जामक समस्यासँ बर्षोसँ परेशान छथि । कारण सडककेँ सतहसँ नाला उपर रहलाक कारण गन्दा पानि घर घरमे घुसि जाइत अछि ।
जखन हमसभ ओतएकेँ इएह समस्याक विषयमे रिपोटिङ्गके लेल पहुँचलौँ तऽ मधेसक राजधानीक ई अवस्था अछि तऽ अन्य नगरके अवस्था कि हएत से सोचि मोन खिन्न भऽ गेल । मधेसक राजधानी जनकपुरधामक बिचोबीच रहल ओ टोलके स्थानीय एहन स्थानमे कोना वसोवास करैत छथि, कोना अपन धियापुताके पालन पोषण करैत छथि, हुनकासभक स्वास्थ्य पर केहन असर पड़ैत अछि सहितक प्रश्नसभ मोनमे उब्जल । इएह प्रश्नक जवाबके खोजी ओतुका स्थानीयसँ कएलौँ ।
जनकपुरधाम वार्ड नम्बर ३के अनिता महराक अनुसार ई समस्या बितल १० वर्षसँ अछि । मुदा एहि समस्याक समधानके लेल नहि पालिका चाँखि देखा रहल अछि तऽ नहि वाडअध्यक्षेकेँ एहि समस्यापर आँखि जाए सकल छन्हि ।
इएह समस्यासँ जनकपुरधाम ११के स्थानीय लडि़ रहल छथि, स्थानीय पुनम झा कहैत छथि ‘बारहु महिना गन्दा, नाला जामक समस्या तऽ रहबे करैत अछि, वर्षाक मौसममे तऽ आओर बढि जाइत अछि घर घरमे नालाक पानि घुसि जाइत अछि ।’ ओहि समयमे घरसँ बाहर निकलहोमे समस्या होइत रहैत अछि स्थानीय झा कहैत छथि ।
उपमहानगरपालिकाक गाडी तऽ अबैत अछि गन्दा उठाबए, गन्दा उठा कऽ लैइयो जाइत अछि मुदा एकर स्थायी समाधानक लेल कोनो पहल नहि कएल गेल उपराग स्थानीयके छन्हि । नाला जाम भेलाक बाद स्थानीयसभ अपने कहिओ काल सफाई करएमे सेहो भीर जाइत छथि ।
एहिके लऽ कऽ कतेको बेर वाडअध्यक्ष लग गेल छी मुदा सभ बेर एक्केटा जवाब अबैत अछि दूनु वार्ड मिल कऽ जल्दिए एकर समाधान खोजब । मुदा एखनधरि एहिके कोनो निकास नहि निकलए सकल अछि ।
निर्वाचनक समयमे नेतासभ सेवा सुविधाक वचन दऽ कऽ चलि जाइत छथि मुदा निर्वाचनमे जितलाकबाद सभ बिसरि जाइत छथि से पीडा स्थानीयके रहैत छन्हि ।
नेपालमे तीन तहक सरकारके आवश्यक्ता किए पड़ल ? जे समस्याक समाधानक लेल आवाज केन्द्र सरकारधरि नहि पहुँचए सकत ओ समस्याके हल स्थानीय सरकार करत । मुदा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक सडक, नालाक अवस्था तथा गन्दा देखि कऽ लगबे नहि करैत अछि स्थानीय सरकार सेहो अछि ।
एहि अतिरिक्तके बहुतो समस्या ओतुका स्थानीय हमरासभके सुनौलन्हि । हुनकरसभक उपरागक मोटरी अतेक बेसी अतेक बेसी छल जे हमर एहि एकटा लेखमे समटब कठीन छल मुदा धीरे धीरे अवश्य ओहो अहासभ समक्ष प्रस्तुत करबे करब ।
फेर ई समस्या जनकपुरधामक वार्ड नम्बर ३ वा वार्ड नम्बर ११के मात्रे नहि अछि एतुका विभिन्न वार्ड एहने समस्यासभसँ भरल पड़ल अछि । कतेको स्थानमे तऽ सडक निर्माणक नामपर वर्षोसँ खनि कऽ ओहिना छोडि देल गेल अछि । एहिके लेल तऽ तीनु तहक सरकार स्पष्ट रुपमे दोषी अछि । स्थानीय पालिका हुए वा प्रदेश सरकारक योजना हुए भौतिक संरचना तथा सडक निर्माणमे एहने समस्यासभ देखल जा रहल अछि ।
ई सभ देखलाक बाद लगैत अछि तीनु तहक सरकार गहीर निन्नमे अछि । एतबी आग्रह करए चाहब तीनू तहक सरकारसँ निन्नसँ जागु आ जनता जाहिके लेल अहाँके मत देने अछि ओ काज सक्रियतापूर्वक निर्वहन करु ।