Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

नायक घर–घरकेँ मे – विभा पाण्डे





 

♦ शिवानी मिश्र
नायक माने पुरुष मात्र नहि महिला सेहो । विभा पाण्डे ओना राजनीतिकर्मी छथि मुदा हम तँ आम महिला, जे घरोमे रहैत छथि घरक व्यवस्थापन करैत छथि हुनका सभसँ बड़का नायक मानैत छी । बीना महिलाकेँ पुरुषक सही अस्तित्व देखारमे नहि आबि सकैत अछि ।
इएह नायकक खोजीक क्रममे आइ हम सभ लोसपाक केन्द्रिय सदस्य विभाजीक जनकपुरधाम ७ स्थित निवासपर पहुँचल छलहुँ ।
एकटा राजनीतिकर्मी सेहो जखन घरमे रहैत छथि ओ पूरापुर गृहणी भऽ जाइत छथि । भोजन बनाएब, घरकेँ व्यवस्थापन करब, धियापुताक प्रगतिमे योगदान करब हरेक महिला जकाँ हिनको देखलहुँ ।
शुरुक समयमे भलेही नेपाली कांग्रेसमे रहथि मुदा मूल राजनीति २०६४ सालसँ शुरु कएने छथि । ‘मधेश आन्दोलन हमरा सक्रिय राजनीतिमे आनि देलक,’ ओ बेर–बेर कहलन्हि । महन्थ ठाकुरक नेतृत्वमे जखन तमलोपा खुजल ओ ओहिमे सक्रिय भऽ गेलथि एकरबाद सभदिन मधेश कित्तामे राजनीति करैत रहलथि ।
२ पुत्र आ १ पुत्रीक माए रहल विभाजी धियापुताक आगाँ बढावएमे सफले छथि । जेठ पुत्र इटलीमे एमइ कऽ रहल छन्हि । एकटा बेटी कर्नाटकसँ मास्टर अफ हाँस्पिटल एडमिस्ट्रेशन कएलन्हि अछि । छोट पुत्र मिट कलेजमे १२ कक्षामे पढि रहल छन्हि ।
कहिओ विद्यालय व्यवसायमे लागल रहथि । जनकपुरधाम ७ स्थित ओमशक्ति बोर्डिगं स्कूल आ बिसबिट्टीमे रहल पिएस एकेडमीक सञ्चालक छलथि मुदा राजनीतिमे बेसी लगलाक कारणेँ ओ दुनू स्कूल बिक्री कऽ देने छथि ।
विभाजीक जीवनसँ जुड़ल बहुत बात ‘नायक घर–घरकेँ’ मे देखबए करब । ई कार्यक्रम प्रत्येक शुक्रदिन मोडेल खबरक पोडकाष्ट चैनल https://www.youtube.com/@ModelKhabar मे प्रशारण हएत । अपनेसभ अवश्य देखी । ई बहुत सहज महिला छथि । हिनक हाथक चाह सेहो पिलहुँ आ बहुतरास बात कएलहुँ । छोटसँ छोट, गम्भीरसँ गम्भीर ।